Skip to main content

Posts

Showing posts with the label छठि

अपने तऽ जाइ छऽ हो भैया, देश रे बिदेशबा ।छठि

अपने तऽ जाइ छऽ हो भैया, देश रे बिदेशबा । हमरो लय लबिहऽ भैया, गहुमा सनेसबा । आबि गेलै हो भैया, छठि सन बरतिया । गहुम तऽ छै गे बहिन, बड़ रे महगबा । छोड़ि दहिन गे बहिन, छठि सन बरतिया । दीनानाथ देलखिन हो भैया, भाइ रे भतिजबा । हम कोना छोड़बे हो भैया, छठि सन बरतिया । ससुरा मे देलखिन हो भैया, सासु-ससुरबा। आरो जे देलखिन हो भैया, सीथ भरि सिनुरबा हँसैत-कनैत रहै कोख के बलकबा । हम कोना छोड़बे हो भैया, छठि सन बरतिया 1 करबै करबै हो भैया, छठि सन बरतिया । अपने तऽ जाइ छऽ भैया, देश र बिदेशबा । हमरा लय लबिहऽ भैया, केरा सनेसबा.... नेने अबिहऽ हो भैया, नारिकेर सनेसबा । नारिकेर तऽ छौ गे बहिन, बड़ रे महगबा । छोडि दहिन गे बहिन, छठि सन बरतिया ।। बेचि देबै हो भैया, हाथ के कंगनमा । खरीद लेबै हो भैया, केरा-नारिकेरबा । कैये लेबै हो भैया, छठि सन बरतिया ।।

कए कौस रोपलऽ हो दीनानाथ बेली चमेली छठि

कए कौस रोपलऽ हो दीनानाथ बेली चमेली कए कोस रोपलऽ हो दीनानाथ अतर गुलाब दस कोस रोपलऽ हो दीनानाथ बेली चमेली पाँच कोस रोपलऽ हो दीनानाथ अतर गुलाब i गंगाजल पटैब हो दीनानाथ बेली चमेली दूधे पटैब हो दीनानाथ अतर गुलाब । गला शोभे गे अबला बेली चमेली । देहे शोभे गे अबला अतर गुलाब 1 अपने तऽ जाइ छऽ हो भैया, देश रे बिदेशबा । हमरो लय लविहऽ भैया, गहुमा सनेसबा । आबि गेलै हो भैया, छठि सन बरतिया । गहुम तऽ छै गे बहिन, बड़ रे महगबा । छोड़ि दहिन गे बहिन, छठि सन बरतिया । दीनानाथ देलखिन हो भैया, भाइ रे भतिजबा । हम कोना छोड़बै हो भैया, छठि सन बरतिया । ससुरा में देलखिन हो भैया, सास-ससुरबा।