Skip to main content

Posts

हाथ सटकुनियाँ हो दीनानाथ, पयर खड़ाम ।

हाथ सटकुनियाँ हो दीनानाथ, पयर खड़ाम । कान्ह जनउआ ही दीनानाथ, चलि भेला मन्दीर । गोवर आणि - गेलिए हो दीनानाथ, गैया के बथान । गया के चरण हवा ही दीनानाथ, लल ललय । दुरे से दुर जा बाझिन, मारा गया होयत चाँझ । मऽ सऽ जे एलिए हो दीनानाथ, देहरी बैसल झमाय । कोने अपगुणिये हो दीनानाथ, बझिनिया पड़ल नाम । नाम ः लिए हो दोनों डोडा अंगना । डोडा के बेटे हो दीनानाथ, ले लुलिया । दूरे रह दूर गे बाझिन, मोर पुतहै होयत बाँझ । औत सङ के लिए हो दीनानाथ, देहरी चैसल माय ।। कोने अयि सी दीनानाथ, बेधनियाँ पड़ल नाम धूप लेते हो दीनानाथ, तरथ खिआयल । दीप लेते हो दोताना, चुटकी खिल । तयो ने फुटले ६ दीनानाथ, बाँझीपद नाम । सासु मरे दुत का हो दीनानाथ, ननदि पढे गारी । परक जनमत गोतनी हो दीनानाथ उलहन दे पुत्र के देवी गे कुरान, गौरव मुनि कर । पौरव जे करे तो दो दिन, छीनिये लव । पत्र में देते हो नाना, जुनि जुनि लेब छोड़ा पद पूछते हो दीनानाथ, मराठी पड़ते नाम ।

अपने तऽ जाइ छऽ हो भैया, देश रे बिदेशबा ।छठि

अपने तऽ जाइ छऽ हो भैया, देश रे बिदेशबा । हमरो लय लबिहऽ भैया, गहुमा सनेसबा । आबि गेलै हो भैया, छठि सन बरतिया । गहुम तऽ छै गे बहिन, बड़ रे महगबा । छोड़ि दहिन गे बहिन, छठि सन बरतिया । दीनानाथ देलखिन हो भैया, भाइ रे भतिजबा । हम कोना छोड़बे हो भैया, छठि सन बरतिया । ससुरा मे देलखिन हो भैया, सासु-ससुरबा। आरो जे देलखिन हो भैया, सीथ भरि सिनुरबा हँसैत-कनैत रहै कोख के बलकबा । हम कोना छोड़बे हो भैया, छठि सन बरतिया 1 करबै करबै हो भैया, छठि सन बरतिया । अपने तऽ जाइ छऽ भैया, देश र बिदेशबा । हमरा लय लबिहऽ भैया, केरा सनेसबा.... नेने अबिहऽ हो भैया, नारिकेर सनेसबा । नारिकेर तऽ छौ गे बहिन, बड़ रे महगबा । छोडि दहिन गे बहिन, छठि सन बरतिया ।। बेचि देबै हो भैया, हाथ के कंगनमा । खरीद लेबै हो भैया, केरा-नारिकेरबा । कैये लेबै हो भैया, छठि सन बरतिया ।।

कए कौस रोपलऽ हो दीनानाथ बेली चमेली छठि

कए कौस रोपलऽ हो दीनानाथ बेली चमेली कए कोस रोपलऽ हो दीनानाथ अतर गुलाब दस कोस रोपलऽ हो दीनानाथ बेली चमेली पाँच कोस रोपलऽ हो दीनानाथ अतर गुलाब i गंगाजल पटैब हो दीनानाथ बेली चमेली दूधे पटैब हो दीनानाथ अतर गुलाब । गला शोभे गे अबला बेली चमेली । देहे शोभे गे अबला अतर गुलाब 1 अपने तऽ जाइ छऽ हो भैया, देश रे बिदेशबा । हमरो लय लविहऽ भैया, गहुमा सनेसबा । आबि गेलै हो भैया, छठि सन बरतिया । गहुम तऽ छै गे बहिन, बड़ रे महगबा । छोड़ि दहिन गे बहिन, छठि सन बरतिया । दीनानाथ देलखिन हो भैया, भाइ रे भतिजबा । हम कोना छोड़बै हो भैया, छठि सन बरतिया । ससुरा में देलखिन हो भैया, सास-ससुरबा।

गोकुल के बगियामे भोर दुपहरिया मे, बाजे कोइली घमसान | भगवानी गीत

गोकुल के बगियामे भोर दुपहरिया मे, बाजे कोइली घमसान बाँसुरी के धुन सुनि जिया घबराइ छ, देखि-देखि कृष्ण कन्हाइ नितराइ छै ।।।। मिलि जुलि खेलबा लेल संग-संग खेलबा लेल, काटै छै अहू...

नामि नामि केशिया शवरी अंगना बहारय| भगवानी गीत

नामि नामि केशिया शवरी अंगना बहारय एहि बाटे औता हमरे घरवा हो रामा । मैटिक पात्र मे निर्मल गंगाजल चरण पखारब सीता रामा ! कुश आसन शबरी झाडि ओछाबय एहि पर बैसथिन्ह श्रीरामा, हमरे ...