Skip to main content

कए कौस रोपलऽ हो दीनानाथ बेली चमेली छठि

कए कौस रोपलऽ हो दीनानाथ बेली चमेली
कए कोस रोपलऽ हो दीनानाथ अतर गुलाब
दस कोस रोपलऽ हो दीनानाथ बेली चमेली
पाँच कोस रोपलऽ हो दीनानाथ अतर गुलाब i
गंगाजल पटैब हो दीनानाथ बेली चमेली
दूधे पटैब हो दीनानाथ अतर गुलाब ।
गला शोभे गे अबला बेली चमेली ।
देहे शोभे गे अबला अतर गुलाब 1

अपने तऽ जाइ छऽ हो भैया, देश रे बिदेशबा ।
हमरो लय लविहऽ भैया, गहुमा सनेसबा ।
आबि गेलै हो भैया, छठि सन बरतिया ।
गहुम तऽ छै गे बहिन, बड़ रे महगबा ।
छोड़ि दहिन गे बहिन, छठि सन बरतिया ।
दीनानाथ देलखिन हो भैया, भाइ रे भतिजबा ।
हम कोना छोड़बै हो भैया, छठि सन बरतिया ।
ससुरा में देलखिन हो भैया, सास-ससुरबा।

Comments

Post a Comment

Popular posts from this blog

मधुश्रावणी कथा 2 दिन के

बम-बम भैरो हो भूपाल, अपनी नगरिया भोला, खेबि लगाबऽ पार । नचारी गीत

बम-बम भैरो हो भूपाल, अपनी नगरिया भोला, खेबि लगाबऽ पार । कथी के नाव-नेवरिया, कथी करूआरि, कोने लाला खेवनहारे, कोन उतारे पार । सोने केर नाव-नेवरिया, रूपे करूआरि, भैरो लाला खेवनहार...