Skip to main content

पाबनि गीत (मधुश्रावणी

आजु ई पाबनि बालमु संग पूजब
नहि एला बालम हमार हे
सासु निदर्दी दर्दो ने जानल
नहि देलनि भार पठाय हे
दिआदिनि निदर्दी दर्दो ने जानल
नहि देलनि गौर बनाय हे
ननदो निदर्दी दर्दो ने जानल
नहि देलनि साजी सजाय हे...by mala jha 

Comments