Skip to main content

गौरीक गीत

देखैत गेन्दा बड़ लाल गे मलीनियां
देखैत गेन्दा बड़ लाल
किनकर बाड़ी बेली चमेली
किनकर बाड़ी गुलाब गे मलीनियां
देखैत गेन्दा बड़ लाल
शिवजी के बड़ी बेली चमेली
गौरी केर बाड़ी गुलाब गे मलीनियां
देखैत गेन्दा बड़ लाल
कथीए लोढ़ब बेली चमेली
कथीए लोढ़ब गुलाब गे मलीनियां
देखैत गेन्दा बड़ लाल
आँचरमे लोढ़ब बेली चमेली
फांगड़मे लोढ़ब गुलाब गे मलीनियां
देखैत गेन्दा बड़ लाल
किनका चढ़ायब बेली चमेली
किनका चढ़ायब गुलाब गे मलीनियां
देखैत गेन्दा बड़ लाल
शिवकेँ चढ़ायब बेली चमेली
गौरी चढ़एबनि गुलाब गे मलीनियां
देखैत गेन्दा बड़ लाल
किनकासँ मांगब अनधन लछमी
किनकासँ माँगब सोहाग के मलीनियां
देखैत गेन्दा बड़ लाल
शिवजीसँ माँगब अनधन लछमी
गौरीसँ माँगब सोहाग गे मलीनियां
देखैत गेन्दा बड़ लाल
देखैत गेन्दा बड़ लाल के मलिनियां
देखैत गेन्दा बड़ लाल....by mala jha

Comments

Popular posts from this blog

मधुश्रावणी कथा 2 दिन के

बम-बम भैरो हो भूपाल, अपनी नगरिया भोला, खेबि लगाबऽ पार । नचारी गीत

बम-बम भैरो हो भूपाल, अपनी नगरिया भोला, खेबि लगाबऽ पार । कथी के नाव-नेवरिया, कथी करूआरि, कोने लाला खेवनहारे, कोन उतारे पार । सोने केर नाव-नेवरिया, रूपे करूआरि, भैरो लाला खेवनहार...