Skip to main content

मधुश्रावणी व्रत कथापहिल दिनक कथामौना पंचमीक कथा

मधुश्रावणी व्रत कथा

पहिल दिनक कथा

मौना पंचमीक कथा

एक दिन एक बूढ़ी स्नानक हेतु धार गेला पर देखलन्हि जे धारमे चिकनी पात पर पाँच गोट किछु लहलहाइत छल । ओ जीव बूढ़िके देखि बाजल हे बूढ़ी । गाम जा लोककें सूचित करियो जे आइ मौना पञ्चमी थिकैक आइ लोक पाँच झाक चिक्कनि माँटि आनि, घर आँगन पवित्रसँ नीपि, तेलकूड लगाए, स्नान कर अँगनामे चिकनी माँटिक पाँच टा थुम्हा बनावधि । ताहिमे सिन्दुर-पिठार लगाए उपरसँ दुबि साटि देथि । नव वासनमे खीर घोरजाठर रान्हथि। विसहराक पूजा कए हुनका दूध लावा चढ़ावथि आ खीर घोरजावर उत्सर्गंथि। झोआ नेबो, आमक पखूआ, अमतौआ दाड़िम, नीमक पात, नेङरा कुश आ धामिक पात आदि चढ़ावधि । ई सब केलाक बाद आइ सब केओ तीतकोत खाए खीर-घोरजाउर खाथि । घरक दुआरिक दुनू भाग गोबरसँ फ्रेंच काढ़ने नागक चित्र बनाए, ओकर मुँहमे दही आ दूबि लगा देथि । जे केओ एहि तरह पावनि करती तिनका सब प्रकारक कल्याण हेतन्हि आज जे ऐना नहि करती तिनका हानि होयतनि ।

बूढ़ी नहाक आङन एलीह त गाममे सबके कहि देलथिन । गामक किछु लोक ई पावनि नहि केलक आऽ किछु लोक एकरा फूसि फटक बूझि अनठाए देलक पावनि नहि कएलक । जे सब पावनि केलक से सब ठीक रहल आ जे सब नहि केलक से सब सतिएमे मरि गेल । गाममे हाहाकार मचि गेल। हारिके लोक सब फेर बूढ़ीक ओतए आयल आ' पुछलक जे आब कोन उपाय से मुइल लोक सब जीवित होएत। बूढ़ीके किछु नहि फुरलनि तँ फेर दौड़लि धारक किनार गेलीह । ओतय चिकनी पात पर पाँचो जीव ओहिना लहलहाइत छल। ओ पाँचो बहिन बिसहरा छलीह । बूढी हुनका प्रणाम कए गामक सब वृत्तान्त सुनाए पुछलनि जे मुइलहा लोक सबक पुनः जिएबाक कोन उपाय कएल जाए ।

बिसहरा कहलनि जे पहिने त हमरा अनुसारै ओ सब पावनि नहि केलक तें सब मरि गेल । अब एक उपाय अछि । गाममे जँ ककरो कराहीमे खीर- घोरजाउर लागल होइक तँ ओकरा घोरिके मुइल लोक सबके चटा देबैक, इहो बुझा देबैक जे अगिला पञ्चमीको नाग पञ्चमी होएतैक । ओहि दिन सब नियमपूर्वक पावनि करए, तखनहि कल्याण होएतैक ।

बूढ़ी गाममे घरे-घरे कराहीमे लागल खीर घोरजाठर ताकि मुइलहा सबके चटाओल, तखन पुनः ओ सब जीवि गेल। आब ओहो सब प्रसन्न भए बिसहराक बुझाओल अनुसार पावनि करए लागल आ' आनन्द सँ रहय लागल। मुइलहा लोक सब पुनः जीबि उठल आ नाग पञ्चमीक दिन पावनि केलक से "मड़रए" कहौलक ।
हुनक वीर्यस्खलन भए गेल महादेव ओकरा एक पुरैनिक पात पर राखि देलनि। ओहिस बिसहरा पाँचो बहिनक जन्म भेल। महादेवक एहि पाँचो बहिन पर ममता होएब स्वाभाविक छल। ओ नित्य ओहि सरोवरमे स्नान लेल जाथि आ बड़ी-बड़ी काल तक ओहि साँपक पोआ संग खेलाथि गौरीक सन्देह होमए लागल जे महादेव एतेक काल तक पोखरि की करैत रहैत छथि। एक दिन ओ महादेवक पाछू पाछू गेलीह त देखलनि जे महादेव पोआ सभक संग खेलाइत छथि । ई देखि गौरी तमसाए गेलीह । ओ पोआ सबके परसँ पोचि पीचिक फेकर लगलीह। महादेव मना कएलनि जे ई सब मारबाक पात्र नहि थीक, ई सब अहाँक बेटी श्रीक ई सब अनेको कष्ट दूर करत आ कहियो अहुँक उपकार करत । मृत्यंभुवनमे साओन मासने एकरा सभक पूजा होयत जे ऐ पाँचो बहिनक पूजा करत तकरा सौंपक डर नहि रहतैक ओ धन धान्य पूर्ण होयत आ ओकरा सब तरहें कल्याण होएतक हम एहि पाँचो बहिनक नाम रखने छी जाया, बिसहरि, शामिलबारी, देव आ दोतलि ।

Comments

Popular posts from this blog

बम-बम भैरो हो भूपाल, अपनी नगरिया भोला, खेबि लगाबऽ पार । नचारी गीत

बम-बम भैरो हो भूपाल, अपनी नगरिया भोला, खेबि लगाबऽ पार । कथी के नाव-नेवरिया, कथी करूआरि, कोने लाला खेवनहारे, कोन उतारे पार । सोने केर नाव-नेवरिया, रूपे करूआरि, भैरो लाला खेवनहार...

तपस्या के समान है मधुश्रावणी की यह पूजा, 14 दिनों तक महिलाएं नमक नहीं खाती हैं

तपस्या के समान है मधुश्रावणी की यह पूजा, 14 दिनों तक महिलाएं नमक नहीं खाती हैं मधुश्रावणी के दिन जलते दीप के बाती से शरीर कुछ स्थानों पर [ घुटने और पैर के पंजे ] दागने की परम्परा भी वर्षों से चली आ रही हैं। इसे ही टेमी दागना कहते हैं । सावन का महीना आते ही मिथिलांचल संस्कृति से ओत-प्रोत मधुश्रावणी की गीत गूंजने लगे हैं। लोक पर्व मधुश्रावणी की तैयारियों में नव विवाहिताएं जुट गई हैं। पति की लंबी आयु की कामना के लिए चौदह दिवसीय यह पूजा सिर्फ मिथिला वासियों के बीच हीं होता है । यह पावन पर्व मिथिला की नवविवाहिता बहुत ही धूम-धाम के साथ दुल्हन के रूप में सजधज कर मनाती है। मैथिल संस्कृति के अनुसार शादी के पहले साल के सावन माह में नव विवाहिताएं मधुश्रावणी का व्रत करती हैं। सावन के कृष्ण पक्ष के पंचमी के दिन यानि 24 जुलाई से मधुश्रावणी व्रत की शुरुआत हुई और पांच अगस्त को इसका समापन होगा। इस वर्ष यह पर्व 14 दिनों का होगा। मैथिल समाज की नव विवाहितों के घर मधुश्रावणी का पर्व विधि-विधान से होता है । इस पर्व में मिट्टी की मूर्तियां, विषहरा, शिव-पार्वती बनाया जाता है मधुश्रावणी जीवन में सि...

मधुश्रावणी व्रत कथा : पाँच दिनकथा

महादेब परिबारक वर्णन :- दक्ष, सती के प्राण त्याग्लाक बाद हिमालय के रूप में अवतार लैथ I हुनका क्रमशः पाँच टा कन्या भेलनि उमा, पार्वती, गंगा, गौरी आ संध्या । एही पाँचो क विवाह बेरि बेरि महादेव सं भेलनि। उमाक उत्पति आ महादेब संग जुडब :- हिमालय के मनाइन नामक स्त्री सं एकटा बेटी भेलखिन। जखन ओ पाँच वर्ष क भेलि त महादेव क वर रूप में प्राप्त करवाक कामना सं तपस्या करवा हेतु विदा भेलि । मनाईन मना करैत रहि गेलखिन मुदा ओ नहि मानलि तें हुनकर नाम उमा पङलैन । आठ वर्ष क भेला पर महादेव हुनका तपस्या से प्रसन्न भई हुनका सं विवाह क लेलैथ आ मनाईन अपन माथ पिटैत रहि गेली कि हुनकर सुकुमारी क विवाह बूढ बर सं भ गेल। पार्वतीक उत्पति आ महादेव संग बिआह :- हिमालय क दोसर बेटी पार्वती भेलखिन। पार्वती एक दिन फूल तोरबाक लेल कनक शिखर पर गेलखिन । ओतए एकटा बूढबा क बसहा पर चढल आ डमरू बजबैत देखलखिन। पार्वती चिन्ह गेलखिन जे इत साक्षात् महादेव छैथ। सखि सब के मना केला क बादो  ओ ओकरा सब के घर विदा क बसहा पर बैसी महदेव संगे चलि गेली। मानाइन फेर कानैत बाजैत रहि गेली । गंगाक आविर्भाव :- हिमालय क तेसर बेटी भेलखिन गंगा। ओ जखन पै...