छोटी मोटी ब्राह्मण बाबूके कान दुनू सोनमा,
पढ के पोथी नेने जाय हे ।
बाटे भेटिय गेल ब्राह्मण के बेटे हो,
सब जनौ दिय चढ़ाय हे।
पहिने जे अवित ब्राह्मण आहे चढ बातों,
सभ जनौ गेलै बिकाय हे ।
बाटे भेटिय गेल मालिन केर बेटिया यो,
सब फूल गेल बिकाय हे ।
बाटे भेटिय गेल हलुअइया के बेटिया,
सभ मधुर दीअ चढाय हे ।
पहिने के अबितौं ब्राह्मण अहींके चढवितों,
सभ मधुर गेल बिकाय हे ।
छोटे मोटे ब्राह्मण बाबू के कान दुनू सोनमा,
पढ के पोथी नेने जाय हे ।
Maithli lokgeet
Comments
Post a Comment