छोटी मोटी ब्राह्मण बाबूके कान दुनू सोनमा,
पढ के पोथी नेने जाय है ।
बाटे भेटिय गेल ब्राह्मण के बेटे हो,
सब जनौ दिय चढाय हे 1
पहिने जे अबितौं ब्राह्मण अहींके चढ़ते,
सभ जन गेलै बिकाय हे 1
बाटे भेटिय गेल मालिन केर बेटिया यो,
सब फूल गेल बिकाय हे ।
बाटे भेटिय गेल हलुअइया के बेटिया,
सभ मधुर दीअ चढ़ाय है ।
पहिने जे अबितौं ब्राह्मण अहींके चढ़ते,
सभ मधुर गेल बिकाय हे
छोटे मोटे ब्राह्मण बाबू के कान दुनू सोनमा,
पढ़य के चौथी नेने जाय हे ।
बम-बम भैरो हो भूपाल, अपनी नगरिया भोला, खेबि लगाबऽ पार । कथी के नाव-नेवरिया, कथी करूआरि, कोने लाला खेवनहारे, कोन उतारे पार । सोने केर नाव-नेवरिया, रूपे करूआरि, भैरो लाला खेवनहार...
Comments
Post a Comment