ब्राह्मण बाबू, ब्राह्मण बाबू नीत दिन जपै छी ।
विपत्ति काल में ब्राह्मण बाबू कीये ने अबै छी ।
अंगना घर ना हम नित्य दिन रखै छी ।
विपत्ति काल में ब्राह्मण बाबू कीयेने अबै छी ।
जोड़ा जनउ, पान सुपारी नीत दिन रखै छी ।
विपत्ति काल में ब्राह्मण बाबू कीयेने अबै छी 1
जोड़ा छागर धूर बन्हायब नीत दिन रखै छी ।
विपत्ति काल में ब्राह्मण बाबू कीयेने अबै छी ।
बम-बम भैरो हो भूपाल, अपनी नगरिया भोला, खेबि लगाबऽ पार । कथी के नाव-नेवरिया, कथी करूआरि, कोने लाला खेवनहारे, कोन उतारे पार । सोने केर नाव-नेवरिया, रूपे करूआरि, भैरो लाला खेवनहार...
Comments
Post a Comment