मैथिली – गौरी गीत
पिया यो छोडु नै आँचर, भोर भिनसरवा भेलै ना,
धनी ए बैसु मोर पलङ, अधिरतिया भेलै ना
भोरे जे उठबैइ, फूल लोढी लायब से दुनु मिली ना
पिया यौ गौरी के आराधब से दुनु मिली ना,
पिया यो छोडु नै आँचर ……………..
भोरे जे उठबैइ जल भरी लायब से दुनु मिली ना
पिया यौ गौरी के आराधब से दुनु मिली ना,
पिया यो छोडु नै आँचर …………….
भोरे जे उठबैइ नैबेध किनी लायब से दुनु मिली ना
पिया यौ गौरी के आराधब से दुनु मिली ना,
पिया यो छोडु नै आँचर …………….by mala jha
Comments
Post a Comment