Skip to main content

मैथिली – गौरी गीत

मैथिली – गौरी गीत

पिया यो छोडु नै आँचर, भोर भिनसरवा भेलै ना,
धनी ए बैसु मोर पलङ, अधिरतिया भेलै ना
भोरे जे उठबैइ, फूल लोढी लायब से दुनु मिली ना
पिया यौ गौरी के आराधब से दुनु मिली ना,
पिया यो छोडु नै आँचर ……………..
भोरे जे उठबैइ जल भरी लायब से दुनु मिली ना
पिया यौ गौरी के आराधब से दुनु मिली ना,
पिया यो छोडु नै आँचर …………….
भोरे जे उठबैइ नैबेध किनी लायब से दुनु मिली ना
पिया यौ गौरी के आराधब से दुनु मिली ना,
पिया यो छोडु नै आँचर …………….by mala jha

Comments

Popular posts from this blog

मधुश्रावणी कथा 2 दिन के

बम-बम भैरो हो भूपाल, अपनी नगरिया भोला, खेबि लगाबऽ पार । नचारी गीत

बम-बम भैरो हो भूपाल, अपनी नगरिया भोला, खेबि लगाबऽ पार । कथी के नाव-नेवरिया, कथी करूआरि, कोने लाला खेवनहारे, कोन उतारे पार । सोने केर नाव-नेवरिया, रूपे करूआरि, भैरो लाला खेवनहार...