दिय भक्ति के दान जगदम्बे, हम जेबई कतऽ हे अम्बे
नाव डूबल छै बीच भवरमे, आब शक्ति नहि छै कमर में !
अबला के सहारा है अम्चे । हम जैबई कतऽ हे जगदम्बे 1
पुत्र गलती अनेको करय छै, जेकर माता ने किछुओ जनै छी
दुख्यिा के सहारा हे अम्बे । हम जेबय कतऽ हे जगदम्बे ।
पुत्र कपुतो अनेको जे होई छै, पर माता कुमाता नहि होई छ ।
अबला के सहारा है अम्बे । हम जेबई कतऽ हे जगदम्बे
बम-बम भैरो हो भूपाल, अपनी नगरिया भोला, खेबि लगाबऽ पार । कथी के नाव-नेवरिया, कथी करूआरि, कोने लाला खेवनहारे, कोन उतारे पार । सोने केर नाव-नेवरिया, रूपे करूआरि, भैरो लाला खेवनहार...
Comments
Post a Comment