Skip to main content

कीर्तन बजइए अनघोल, यौ अहाँ ब्राह्मण बाबू ।ब्राह्मण गीत

कीर्तन बजइए अनघोल, यौ अहाँ ब्राह्मण बाबू ।
लाले ओ धोतिया ब्राह्मण लाले तौलिया,
यौ अहाँ ब्राह्मण बाबू ।

सेहो लए अहाँ के पहिरायब,

यौ अहाँ ब्राह्मण बाबू ।

लाले खरमुआ ब्राह्मण लाले जनउआ,

यौ अहाँ ब्राह्मण बाबू ।
सेहो लए अहाँ के पहिरायब,

यौ अहाँ ब्राह्मण बाबू ।
लाले मधुर ब्राह्मण लाल पुष्पहार,

यौ अहाँ ब्राह्मण बाबू ।
अहींके भोग लगायब, यौ अहाँ ब्राह्मण बाबू ।

Comments

Popular posts from this blog

मधुश्रावणी कथा 2 दिन के

बम-बम भैरो हो भूपाल, अपनी नगरिया भोला, खेबि लगाबऽ पार । नचारी गीत

बम-बम भैरो हो भूपाल, अपनी नगरिया भोला, खेबि लगाबऽ पार । कथी के नाव-नेवरिया, कथी करूआरि, कोने लाला खेवनहारे, कोन उतारे पार । सोने केर नाव-नेवरिया, रूपे करूआरि, भैरो लाला खेवनहार...