Skip to main content

पूजा के हेतु शंकर, आयल छी हम पुजारी ।नचारी गीत

पूजा के हेतु शंकर, आयल छी हम पुजारी ।
जानी ने मंत्र-जप-तप, पूजा के विधि ने जानी ।
तइयो हमर मनोरथ, पूजा करू हे दानी ।
चुप भए किए बइसल छी, खोलु ने कने केबारी ।
बाबा अहाँके महिमा, बच्चेसँ हम जनइ छी ।
दु:ख की कहू अहाँके सभटा अहाँ जनइ छी ।

दर्शन दिय दिगम्बर, दर्शन के हम भिखारी ।
हैं नाथ हम अनाथ, वर दथ करू सनाथ ।
मिनती करू नमेश्वर, कर जोड़ि दुनु हाथे ।
डमरू कने बजाङ, गाबई छी हम नचारी ।

Comments

Post a Comment

Popular posts from this blog

बम-बम भैरो हो भूपाल, अपनी नगरिया भोला, खेबि लगाबऽ पार । नचारी गीत

बम-बम भैरो हो भूपाल, अपनी नगरिया भोला, खेबि लगाबऽ पार । कथी के नाव-नेवरिया, कथी करूआरि, कोने लाला खेवनहारे, कोन उतारे पार । सोने केर नाव-नेवरिया, रूपे करूआरि, भैरो लाला खेवनहार...

मधुश्रावणी कथा 2 दिन के