हनुमान गीत
अंगना के काते-काते नाचे हनुमान ।
कथी लए रूसल छथि वीर हनुमान ।
मंगाय दे मालिन बेटी, गाथा दे हार ।
माला लय रूसल छथि वीर हनुमान ।
मंगाय दे ब्राह्मण बेटी मंगा दे जनउ ।
जनउ लय रूसल छथि वीर हनुमान ।
मंगा दे हलुअइया चेटी मंगाय दे मधुर ।
नैवेद्य लय रूसल छथि वीर हनुमान ।
मंगा दे सेवक बेटा करा दे पूजा ।
पूजा लय रूसल छथि वीर हनुमान 1
उगना के काते-काते नाचे हनुमान 1
कथी लय रूसल छथि वीर हनुमान ।
Comments
Post a Comment